kona ka chhoir dele gaam lyrics
2017 Lyricist Year मैथिली गीत मैथिली लोकगीत रानी विकाश विकाश झा VJ

कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम- Vikash jha VJ

Song Title : Kona Ka Chhoir Delein Gaam
Singer : Vikash Jha VJ
Lyrics : Rani Vikash
Year : 2017

kona ka chhoir delein gaam lyrics in hindi

माँ – कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम,
कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम रो बौआ,
हमरा बना देलैं आन रो,
कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम रो बौआ,
हमरा बना देलैं आन
बेटा- हमरा में……
हमरा में तोरे छौ प्राण,
गे मै गे कोना बनेबौ तोरा आन गे,
हमरा में तोरे छौ प्राण,
गे मै गे कोना बनेबौ तोरा आन,

माँ – जा कऽ पऱदेश तू बिसैर गेलैं बौआ,
दै छैं ने चिट्ठी नै कुचरै छै कौआ,
जा कऽ पऱदेश तू बिसैर गेलैं बौआ,
दै छैं ने चिट्ठी नै कुचरै छै कौआ,
अन्न-पनि किछुओ नै नीक लगै यै,
ध्यान हमर सदिखन तोरे पर रहै यै,
तोरा बिन……..
तोरा बिन सुन्न छै दलान रो बौआ,
हमरा बना देलैं आन,
बेटा- हमरा में तोरे छौ प्राण,
गे मै गे कोना बनेबौ तोरा आन,

बेटा- मै गै की सोचि हम एलौं शहर में,
हम अतऽ फँसि गेलौं भँवर में,
मै गै की सोचि हम एलौं शहर में,
हम अतऽ फँसि गेलौं भँवर में,
मालिक हमर भेटल अई कसैया,
काज लै ये बेसी, कम दै ये रुपैया,
छुट्टियो ने…..
छुट्टियो ने, दै ये बेईमान,
गे मै गे कोना बनेबौ तोरा आन,
माँ – कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम रो बौआ,
हमरा बना देलैं आन,

माँ – कते नीक रहितौ जे गामे में रहितैं,
ओतऽ जे करै छैं से अहि ठाम करितैं,
मालिक के कोनो रहितौ नै चिंता,
अपन खेत जोइत कोरि अन्न उपजैबतैं,
आबो तऽ…..
आबो तऽ बात हमर मान रो बौआ,
हमरा बना देलैं आन रे
कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम रो बौआ,
हमरा बना देलैं आन
बेटा- हमरा में…..
हमरा में तोरे छौ प्राण,
गे मै गे कोना बनेबौ तोरा आन गे,
हमरा में तोरे छौ प्राण,
गे मै गे कोना बनेबौ तोरा आन
माँ – कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम रो बौआ,
हमरा बना देलैं आन रो
बेटा- हमरा में तोरे छौ प्राण,
गे मै गे कोना बनेबौ तोरा आन

kona ka chhoir delein gaam lyrics in english

Maa- Kona ka chhoir delein gaam,
Kona ka chhoir delein gaam ro bauaa,
Hamra bana delein aan ro,
Kona ka chhoir delein gaam ro bauaa,
Hamra bana delein aan,
Beta- Hamra me…..
Hamra me tore chhau praan,
Ge mai ge kona banebau tora aan ge,
Hamra me tore chhau praan,
Ge mai ge kona banebau tora aan,

Maa- Jaa ka pardesh ti bisair gelein bauaa,
Dai chhe ne chitthi nai kuchrai chhai kauaa,
Jaa ka pardesh ti bisair gelein bauaa,
Dai chhe ne chitthi nai kuchrai chhai kauaa,
Ann-pain kichhuo nai nik lagai ye,
Dhyan hamar saidkhan tore par rahai ye,
Tora bin……
Tora bin sunn chhai dalaan ro bauaa,
Hamra bana delein aan,
Beta- Hamra me tore chhau praan,
Ge mai ge kona banebau tora aan,

Beta- Mai ge ki soich hum elau shahar me,
Hum ata fais gelau bhawar mein,
Mai ge ki soich hum elau shahar me,
Hum ata fais gelau bhawar mein,
Maalik hamar bhetal ai kasaiya,
Kaaj laiye besi, kam dai ye rupaiya,
Chhutiyo ne……
Chhutiyo ne dai ye beimaan,
Ge mai ge kona banebau tora aan,
Maa – Kona ka chhoir delein gaam ro bauaa,
Hamra bana delein aan,

Maa- Kate din rahitau je gaame me rahite,
Ota je karai chhe se ahi thaam kairte,
Malik ke kon rahitau ne chinta,
Apan khet joit koir ann upjaibte,
Aabo ta……
Aabo ta baat hamar maan ro bauaa,
Hamra bana delein aan ro,
Kona ka chhoir delein gaam ro bauaa,
Hamra bana delein aan,
Beta- Hamra me…..
Hamra me tore chhau praan,
Ge mai ge kona banebau tora aan ge,
Hamra me tore chhau praan,
Ge mai ge kona banebau tora aan,
Maa – Kona ka chhoir delein gaam ro bauaa,
Hamra bana delein aan,
Beta- Hamra me tore chhau praan,
Ge mai ge kona banebau tora aan.

  • Reel wali kaniya lyrics – Maithili Geet

    Reel wali kaniya lyrics – Maithili Geet

    Song Title : Reel Wali KaniyaMovie/Album : Reel Wali KaniyaSinger : Vikash Jha VJLyrics : Rani VikashYear : 2025 reel wali kaniya lyrics in hindi हमरा टाइम ने दै छै,हमरा टाइम ने दै छै,देखअ ले हमरा तरसाबै छै,हमर सुनरकी कनियाँ देखू,हमर सुनरकी कनियाँ देखू,हरदम रील बनाबै छै,हमर सुनरकी कनियाँ देखू,हरदम रील बनाबै छै….. फेसबुक के […]

  • Laal rang ke bindiya lyrics

    Laal rang ke bindiya lyrics

    Song Title : Laal Rang Ke BindiyaMovie/Album : Laal Rang Ke BindiyaSinger : Vikash Jha VJLyrics : Radhe BhaiYear : 2024 laal rang ke bindiya lyrics in hindi तोहर लाल रंग के बिंदिया,पूरा इंडिया हिला क चैल गेलौ,तोहर लाल रंग के बिंदिया,पूरा इंडिया हिला क चइल गेलौ,रूप सुन्दर तोहर गढ़ल छौ,रूप सुन्दर तोहर गढ़ल छौ,चाइर […]

  • Aabai kane naina mila le Lyrics

    Aabai kane naina mila le Lyrics

    Song Title : NaynaMovie/Album : Aabai Kane Naina Mila LeSinger : Vikash Jha VJLyrics : Rani VikashYear : 2025 Aabai kane naina mila le lyrics in hindi बाहर स कमा क हम, एलौं आइये गाम,सब स त भेंट भेलै, भेटलें ने तू जान,आबै कने नैना मिला ले,मिला ले गे,आबे कने नैना मिला ले,कनि रुकै ठहरै […]

  • Naina thak gaye raah niharu lyrics

    Naina thak gaye raah niharu lyrics

    Song Title : Naina Thak Gaye Raah NiharuMovie/Album : Kanhaiya Ab Der Na KaroSinger : Bhagwat SutharLyrics : Bhagwat SutharYear : 2021 Naina thak gaye raah niharu lyrics in hindi आओ तो कभी, देखो तो जरा,हम कैसे जिये तेरी खातिर,आओ तो कभी, देखो तो जरा,हम कैसे जिये तेरी खातिर,दिन रात जलाये बैठे हैं,दिन रात जलाये […]

  • Hanuman Chalisa – हनुमान चालीसा

    Hanuman Chalisa – हनुमान चालीसा

    Hanuman Chalisa – हनुमान चालीसा Song Title : Hanuman ChalisaMovie/Album : Hanuman ChalisaSinger : HariharanLyrics : Traditional (Tulsi Das)Year : 2011 ।। दोहा ।। श्रीगुरु चरन सरोज रज, निज मनु मुकुरु सुधारि।बरनऊं रघुवर बिमल जसु, जो दायक फल चारि।। बुद्धिहीन तनु जानिके, सुमिरौं पवन-कुमार।बल बुद्धि विद्या देहु मोहि, हरहु कलेस विकार।। ।। चौपाई ।। जय […]

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *