Maithili Geet Lyrics Vikash Jha VJ

कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम- Vikash jha VJ

Song Title :- कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम

Album :- छोड़ि देलैं गाम

Lyrics :- रानी झा

Singer :- Vikash Jha VJ

Label :- VJ Entertainment’s

माँ – कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम,
कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम रो बौआ,
हमरा बना देलैं आन रो,
कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम रो बौआ,
हमरा बना देलैं आन
बेटा- हमरा में…..2 तोरे छौ प्राण,
गे मै गे कोना बनेबौ तोरा आन गे,
हमरा में तोरे छौ प्राण,
गे मै गे कोना बनेबौ तोरा आन

माँ – (जाकऽ पऱदेश तू बिसैर गेलैं बौआ,
दै छैं ने चिट्ठी नै कुचरै छै कौआ,)…..2
अन्न-पनि किछुओ नै नीक लगै यै,
ध्यान हमर सदिखन तोरे पर रहै यै,
तोरा बिन…..2 सुन्न छै दलान रो बौआ,
हमरा बना देलैं आन
बेटा- हमरा में तोरे छौ प्राण,
गे मै गे कोना बनेबौ तोरा आन

बेटा- (मै गै की सोचि हम एलौं शहर में,
हम अतऽ फँसि गेलौं भँवर में,)…..2
मालिक हमर भेटल अई कसैया,
काज लै ये बेसी, कम दै ये रुपैया,
छुट्टियो ने…..2 दै ये बेईमान,
गे मै गे कोना बनेबौ तोरा आन
माँ – कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम रो बौआ,
हमरा बना देलैं आन

माँ – कते नीक रहितौ जे गामे में रहितैं,
ओतऽ जे करै छैं से अहि ठाम करितैं,
मालिक के कोनो रहितौ नै चिंता,
अपन खेत जोइत कोरि अन्न उपजैबतैं,
आबो तऽ…..2 बात हमर मान रो बौआ,
हमरा बना देलैं आन रे
कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम रो बौआ,
हमरा बना देलैं आन
बेटा- हमरा में…..2 तोरे छौ प्राण,
गे मै गे कोना बनेबौ तोरा आन गे,
हमरा में तोरे छौ प्राण,
गे मै गे कोना बनेबौ तोरा आन
माँ – कोना कऽ छोड़ि देलैं गाम रो बौआ,
हमरा बना देलैं आन रो
बेटा- हमरा में तोरे छौ प्राण,
गे मै गे कोना बनेबौ तोरा आन

Leave a Reply

Your email address will not be published.